कथा गोष्ठी – २०७४ चैत २९ गते मैथिली विकाश कोषक आयोजनमे राष्ट्रिय स्तरक कथा गोष्ठी कोषक सदस्य अशोक दत्तजीक संयोजनमे सम्पन्न भेल छल । जाहिमे प्रमुख अतिथी नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक कुलपति गंगाप्रसाद उप्रेती छलाह । कथाकार सभ ….. राजेन्द्र बिमल, रामभरोस कापड़ि ‘भ्रमर’, श्यामसुंदर शशि, अशोक दत्त, सुजीतकुमार झा, डा. रेबतीरमण लाल, परमेश्वर कापड़ी, महेन्द्रकुमार मिश्र, अयोध्यानाथ चौधरी, रोशन जनकपुरी, बृजकुमार यादब, बीजेता चौधरी, हिमांशु चौधरी, सुनील मल्लिक, राजेन्द्र ललन, बिनोदचन्द्र झा, जयंत ठाकुर, कैलाश दास, ऋषी बसिस्ठ, रामभरत साह, राजाराम सिंह राठौर, अजित आजाद, धीरेन्द्र प्रेमर्षि, रूपा झा सहित कथाकार सहभागी छलाह ।

प्रदेशक भाषा आ नामाकरण (वृहत अन्तरक्रिया) – २०७५ जेष्ठ २७ सुनिल मल्लिकक संयोजनमे आ डा. राजेन्द्रप्रसाद विमलक प्रमुख आतिथ्यमे अन्तरक्रिया आयोजन सम्पन्न भेल । अन्तरक्रिया कार्यक्रममे प्रदेशसभा सदस्य श्री रामसरोज यादब, रमेश रञ्जन झा, शत्रुध्न महतो, रामआशिस यादब, रामचन्द्र मण्डल, पुर्ब मंत्री रामचन्द्र झा, राजपा नेता डा. बिजय सिंह, साहित्यकार डा. राजेन्द्र बिमल, रामभरोष कापड़ी, परमेश्वर कापड़ी, रोशन जनकपुरी, महेन्द्रकुमार मिश्र, लगायत विभिन्न राजनीतिक दलक प्रतिनिधि, नागरिक समाज आ सांस्कृतिककर्मी आ साहित्यकर्मीक उल्लेख्य सहभागिता छल। कार्यक्रम संचालक श्याम सुंदर शशि