जिल्ला विकास समिति धनुषा , नेपाल सरकारक स्थानीय ऐन अनुसार जिल्ला सरकारक रुपमे कार्य करबाक हेतु स्थापित सरकारी निकाय छल । समितिक मूल उद्येश्य जिल्लाक भौतिक विकास रहितहुँ स्थानीय स्वायत शासनके प्राब्धान अनुसार स्थानीय भाषाक संरक्षण, सम्बर्धन आ प्रयोगक अधिकार सेहो समितिके छल । २०४७ सालक राजनीतिक परिवर्तन पश्च्यात् नेपालमे भाषिक अधिकारक स्वर घनीभूत भ’ रहल छल । एहिक्रममे काठमाण्डू नगरपालिका अप्पन कामकाजक भाषाक रुपमे नेपाल भाषा अर्थात् नेवारीके मान्यता देलक । एम्हर जिल्ला विकास समिति धनुषामे सेहो एहि विषयमे वहस छलफल प्रारम्भ भेल । जिविस धनुषाक बोर्ड बैठकके निर्णय अनुसार जिविस परिषद बैठकमे धनुषाक अधिकांश






















